लालजी टंडन बनलाह बिहारक राज्यपाल

0
479

पटना, मिथिला मिरर : नवनियुक्त राज्यपाल लालजी टंडन राजभवन परिसर स्थित राजेंद्र मंडपमे राज्यपाल पदक शपथ लेलाह। राज्यपाल श्री टंडनकेँ  पटना उच्च न्यायालयक मुख्य न्यायाधीश मुकेशकुमार रसिकभाई शाह पद आ गोपनीयताक शपथ दियौलनि। बिहारक 39म राज्यपालक रूपमे लालजी टंडन शपथ लेलाह। एहि अवसर पर लेडी गवर्नर कृष्णा टंडन, हुनक पुत्र आ उत्तर प्रदेश मंत्रिपरिषदक सदस्य आशुतोष टंडन सेहो छलाह। शपथ ग्रहण समारोहमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी, मंत्री नंदकिशोर यादव, मंत्री संतोष कुमार निराला, श्रवण कुमार समेत अनेको वरीय अधिकारी आ अन्य गणमान्य लोकनि उपस्थित छलाह। नवनियुक्त राज्यपाल लालजी टंडन मूलत: उत्तर प्रदेशक लखनऊ जनपदक निवासी छथि। श्री टंडन उत्तर प्रदेश सरकारमे कतेको बेर कैबिनेट मंत्री आ विधायक रहल छथि। 2009मे 15म लोकसभाक चुनावमे कांग्रेस उम्मीदवार रीता बहुगुणा जोशीकेँ हरा लखनऊसँ सांसद बनल छलाह। श्री टंडनकेँ पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीजीक राजनीतिक उत्तराधिकारी मानल जाइत छनि। 12 अप्रैल 1935 उत्तर प्रदेशक लखनऊमे जनमल 83 वर्षीय लालजी टंडनजीक परिवारमे हुनक पत्नी कृष्णा टंडन, तीनटा  पुत्र, दूटा नाती आ पोता छनि। लालजी टंडन भाजपासँ जुड़ल छलाह। स्वयं अटलजी लालजी टंडनकेँ अपन उत्तराधिकारी घोषित केने छलाह। शायद सरकार अटलजीक अंतिम इच्छा बुझि लालजी टंडनके राज्यपाल बनेबाक कदम उठौलक अछि।