सोशल डेवलपमेंट सम्मान सं सम्मानित भेलाह उन्नत भारत के संस्थापक अभिषेक मिश्र

    0
    302

    दिल्ली, मिथिला मिरर: देशक जानल मानल सामाजिक संस्थान ‘आनंद एनजीओ’ दिस सं आयोजित सोशल डेवलपमेंट सम्मान 2017 के लेल उन्नत भारतक संस्थापक अभिषेक मिश्र के चुनल गेल अछि। अभिषेक मिश्र के ई सम्मान सामाजिक कार्य मे अहम योगदानक लेल भेटल।

    ज्ञात हो कि ई सम्मान सामाजिक, शिक्षा, पत्रकारिता इत्यादिक क्षेत्र मे नीक काज कयनिहार के देल जाइत अछि। अभिषेक मूलतः दरभंगा जिलाक सकरी ब्रह्मपुरक रहनिहार छथि आ बहुतो समय सं सामाजिक गतिविधि मे सक्रिय रहैत छथि।