एमएसयू सेनानी पर भेल लाठीचार्जक विरोधमे पाँचम दिन अनशन जारी

0
472

दरभंगा, मिथिला मिरर : लगातार 5 दिनसँ अपन साथी सभ पर भेल बर्बरता पूर्ण लाठी चार्ज आ  रिहाईकेँ ल’ अनिश्चित कालीन भूख हड़ताल पर बैसल एमएसयूकेँ कार्यकर्ता लोकनिक आवाज जिला प्रशासन सुनि नै रहल अछि। एहन कहब छनि धरना पर बैसल एमएसयू सेनानी लोकनिकेँ। मिथिलावादक नारा बुलंद करैत एमएसयू कार्यकर्ता मिथिलाक विकास लेल मिथिला विकास बोर्डक माँग क’ रहल छथि। प्रदर्शनकेँ दौरान लाठीचार्ज, कार्यकर्ताक गिरफ्तारी पर चलि रहल अनिश्चितकालीन अनशनकेँ समर्थनमे चारिम दिन मिथिला स्टूडेंट यूनियनकेँ कार्यकर्ता मौन प्रतिकार मार्च निकाललाह। पोलो मैदान स्थित धरना स्थलसँ शुरू भेल ई मार्च कर्पूरी चौक होइत समाहरणालयकेँ सामने मौन प्रदर्शन करैत वापिस धरना स्थल पहुँचल। यूनियनक गिरफ्तार कार्यकर्ताकेँ रिहाई, लाठीचार्जक दोषी पदाधिकारीकेँ बर्खास्तगी, मिथिला विकास बोर्डक माँग पर ठोस पहल सहित अन्य माँग प्रदर्शनकारी क’ रहल छथि।

एमहर, अनशनक पाँचम दिन अछि आ अनशनकारी एमएसयूक जिलाध्यक्ष अमित ठाकुर, प्रवक्ता मृत्युंजय ठाकुर आ एमएलएसएम कॉलेजक पूर्व छात्र संघ अध्यक्ष अभिषेक कुमार झाकेँ तबियत खराब भेल जा रहल अछि। प्रतिकार मार्चक बाद आगामी रणनीति पर विचार करैत सभ कार्यकर्ता एक सुरमे मिथिला विकास विरोधी सरकार आ स्थानीय प्रशासनकेँ खिलाफ जमी क’ हल्ला बाजल जायत एहन प्रतिबद्धता देखौलनि अछि। बतादी जे 25 फरवरी क’ एनएच 57 पर एमएसयू प्रदर्शनकारी पर पुलिस लाठीचार्ज केने छल आ किछु साथीकेँ गिरफ्तार क’ विभिन्न तरहक आपराधिक धारा लगा हुनका सभके जेल भेज देल गेल। हालाँकि जामकेँ दौरान वार्ताकेँ बदला सरकारक दमनकारी नीति कतहुसँ उचित नै भ’ सकैत अछि। घटनास्थल पर मौजूद प्रशासनिक पदाधिकारीकेँ इशारा पर घेर क’ मारल गेल। एहि तरहक घटना कोनो ने कोनो राजनीतिक षड़यंत्रकेँ तरफ जरूर इशारा करैत अछि। अनशनकारी आ हुनक समर्थक मिथिला विकास बोर्डक गठन, दोषी अधिकारीकेँ बर्खास्तगी आ निर्दोष कार्यकर्ताक रिहाईकेँ माँग क’ रहल अछि।

जनतब होयत जे एहि धरना प्रदर्शनकेँ भाकपा माले पोलित ब्यूरो सदस्य धीरेन्द्र झा, काँग्रेस जिला कमेटीक वरिष्ठ सदस्य राम नारायण झा सहित अन्य दलक नेता सभ निंदा कएलनि अछि संगे अपन समर्थन देलनि अछि। आब देखबा के अछि जे सरकार आ स्थानीय प्रशासन एहि पर केहन तरहक कदम उठबैत अछि।