पाथर खसला सं दर्जनो लोक घायल, एकटा बच्चाक मौत

    0
    439

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: सोमदिन साँझ आएल भीषण अन्हर, पानि आ पाथर खसला सं बहुत नुकसान भेल अछि। मोरवामे एकटा बच्चीक मौत भए गेल, ओतहि पटोरीमे एकटा गायक मौत हेबाक सुचना अछि। दर्जनो घरक छप्पर उड़ि गेल, ओतहि बहुतो एसबेस्टस टूटल अछि। बहुतो लोक जख्मी भेल अछि। सर्वाधिक नुकसान मकईकें फसलके संग आम आ लीचीक फलमे भेल।

    पटोरी प्रखंडक दरबा गाममें ओलावृष्टिक कारण एकटा गाय मरि गेल। गामक महेश महतोक गाय बहारमे बान्हल छल। अचानक ओलावृष्टि शुरू भए गेलाक कारण गायकें अधिक चोट लागल आ किछु काल बाद मौत भए गेल।

    सरायगंज प्रखंडक युसूफ एवं रायपुर बुजुर्गमे ओलावृष्टि सं एक दर्जन सं अधिक लोक घायल भेल अछि। घायलमे रायपुर बुजुर्ग निवासी विश्वनाथ राय (65), जवाहर राय (62), रंधीर कुमार (18), महिषी गांव निवासी जयलाल राय, (45), अरूण राय (40), किशनपुर युसूफ निवासी भजन ठाकुर (55) एवं सुरेश महतोक 35 वर्षीय पत्नीक नाम शामिल अछि।