मधुबनी के बासोपट्टी मे 12 सौ बोतल नेपाली शराब बरामद

    0
    311
    मधुबनी, मिथिला मिरर: उत्पाद विभाग गुप्त सूचनाक आधार पर बासोपट्टी थाना क्षेत्रक वीरपुर ग्वाला टोल मे मालिक यादवक घर बृहस्पति दिन राति छापेमारी केलक। छापेमारी मे मालिक यादव के घरक पाछु आमक गाछ के नीचां जमीन मे गाड़ल 10 बोरा नेपाली देशी शराब जब्त कायल गेल। हालांकि अहि दौरान आरोपित अन्हारक फायदा उठाकय भागि गेल।
    उत्पाद अधीक्षक राकेश कुमार शुक्रदिन प्रेस वार्ता मे कहलनि जे, उत्पाद विभाग के गुप्त सूचना भेटल छल जे, अहि गाम मे अवैध रूप सं नेपाली शराब राखल गेल अछि। सूचना पर उत्पाद विभागक तीन अवर निरीक्षकक टीम बनाकय छापेमारी कायल गेल। जाहि मे 180 एमएल के 1200 बोतल नेपाली शराबक बोतल के जब्त कायल गेल। उत्पाद अधीक्षक कहलनि जे, अहि मामला मे मालिक यादव, सुनील यादव तथा रामपुकार यादवक नेटवर्क द्वारा अवैध शराबक धंधेबाजीक बात सामने आयल अछि।
    उत्पाद विभागक टीम के पहुंचला पर गृह स्वामी मालिक यादव अन्हारक लाभ उठा कय भगबा मे सफल रहल। छापेमारी टीम मे प्रमोद कुमार मंडल, शिवेंद्र कुमार एवं मनीष सक्सेना अवर निरीक्षक उत्पाद, सैप के जवान, उत्पाद सिपाही एवं होमगार्डक जवान मौजूद छल।