पटना पुलिस महकमा मे पैघ बदलाव, 11 गोट थानाध्यक्षक तबादला

    0
    292

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना के पुलिस महकमा मे पैघ बदलाव कायल जा रहल अछि। पटना के 11 थाना मे नव थानाध्यक्षक तैनाती कायल गेल अछि। ओतहि चारि टा अन्य पुलिस अधिकारी के विभिन्न अंचल मे पदस्थापित कायल गेल अछि। मनेर के तत्कालीन थानाध्यक्ष एकरामुल हक आ दीघा के तत्कालीन थानाध्यक्ष के मंडल के स्सपेंड कय देल गेल अछि।

    नव थानाध्यक्षक सूचि अहि प्रकारे अछि। फुलवारी थाना के थानाध्यक्ष कमाल कैशार के बनाओल गेल अछि ओतहि कंकड़बाग थाना मे – सुरेश प्रसाद, बिहटा थाना – रामाकांत तिवारी, राजवीनगर थाना – मृत्युंजय कुमार, दीदारगंज थाना – लक्षमण प्रसाद, श्रीकृष्णपुरी थाना – अरविंद कुमार, दीघा – गोलडन कुमार, एनीटीपीसी थाना – प्रशांत कुमार, यातायात थाना जीरोमाइल – रवींद्र राम, पुलिस निरीक्षक बिहटा अंचल – अब्दुल गफ्फार, पुलिस महानिरीक्षक फतुहा अंचल – जितेंद्र सिंह, पुलिस महानिरीक्ष मसौढी़ अंचल – शालीग्राम कुमार तथा पुलिस निरीक्षक बिक्रम अंचल मे – अजीत कुमार के तैनात कायल गेल अछि।