दरभंगा जिला परिषद के मिथिला राज्य प्रस्तावक लेल शुभकामना : ऋचालोक

    0
    257

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा जिला परिषदक सोमदिन भेल बैसारमे पृथक मिथिला राज्य निर्माणक लेल पारित प्रस्तावक साहित्यिक एवं सांस्कृतिक विचार मंच ‘ऋचालोक’ हार्दिक स्वागत केलक अछि। एहि ऐतिहासिक निर्णय लेल जिला परिषद अध्यक्ष आ सब समर्थक पार्षदलोकनिक संग एहि महत्वपूर्ण सफलता लेल मिथिला राज्य निर्माण सेनाकेँ ‘ऋचालोक’क महासचिव अमलेन्दु शेखर पाठक शुभकामना देलनि।

    ओ कहलनि जे, आशा अछि जे जिला परिषदक आजुक निर्णय मिथिला राज्य निर्माणक दिशामे ठोस डेग प्रमाणित होयत। सेना जाहि तरहेँ योजनाबद्ध ढंगसँ डेग बढ़ा रहल अछि ओ भविष्यक लेल शुभ संकेत प्रतीत होइत अछि। ओ कहलनि जे, सेना जँ एही तरहेँ सजग-सचेष्ट रहल आ समस्त मिथिला, माने सीतामढ़ी, शिवहर, मुजफ्फरपुर, चम्पारण, दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, बेगूसराय, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, पूर्णियाँ, किशनगंज, कटिहार, खगड़िया, भागलपुर, मुंगेर आदि जिलाकेँ एकमत क सकल त ई अति महत्वपूर्ण सफलता होयत।