स्वच्छ भारत अभियानमे मिथिलाक योगदान, देशक सबसँ गंदगी वला स्टेशनमे दरभंगा अव्वल

    0
    454

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः आईआरसीटीसी द्वारा देशक सबसँ साफ आ सबसँ बेसी दंगा स्टेशनक सर्वे करौलक अछि। क्वालिटी काॅउंसिल आॅफ इंडिया द्वारा ए-वन वर्गक 75 गोट स्टेशनक सर्वे कराओल गेल जाहिमे विशाखापत्तनम सबसँ स्वच्छ स्टेशनक रूपमे उभरि कऽ सोंझा आएल तऽ दोसर दिस मिथिलाक हृदय कहावए वला दरभंगा रेलवे स्टेशन सबसँ अंतिम पैयदान पर रहैत देशक सबसँ गंदगी भरल स्टेशनमे अव्वल रहल। दरभंगा स्टेशनक की हाल छैक ओ मैथिलसँ छूपल नहि छैक। हाँ विश्वक लोककेँ लेल ई बात अवश्ये नव अछि।
    स्वच्छ अर्थात साफक सूचीमे दोसर स्थान पर सिकंदराबाद आ तेसर स्थान पर जम्मूतवी रेलवे स्टेशनक नाम अछि। देशक साफ दस गोट स्टेशनमे दिल्लीक आनंद विहार रेलवे स्टेशन पांचम स्थान पर अछि जखन कि हजरत निजामुद्दीन 23म आ पुरानी दिल्ली 24म स्थान पर रहल। एक दिस देशक प्रधानमंत्री लगतार स्वच्छ भारत अभियानक मुहिम चला रखने छथि तऽ दोसर दिस प्रधानमंत्रीकेँ मिथिलाक दिससँ एकटा एहन सौगात भेटलनि अछि जे निश्चित रूपसँ मिथिलाक लेल कारी दागसँ कम नहि थिक।