मुजफ्फरपुर केँ गोबरसही स्थित एसबीआई ब्रांच सँ 21 लाख टाकाक लूट

    0
    321

    दिल्ली-मिथिला मिरर: बिहारमे अपराधिक प्रवृतिमे बेतहाशा वृद्धि भ रहल अछि। बुधदिन मुजफ्फरपुर केर गोबरसही स्थित भारतीय स्टेट बैंक केँ शाखा सँ 21 लाख टाकाक लूट भ गेल। लगभग आधा दर्जन केँ संख्यामे आयल अपराधी बैंक केँ अंदर जा सब सँ पहिने कैशियर आ मैनेजर केँ बन्दूकक दम पर बंधक बनौलक आ ओहिकेँ बाद बैंक मे लूटक घटना केँ अंजाम देलक।

    अपराधी एतेक बेसी प्रोफेशनल छल जे बैंकमे लागल सीसीटीवी सँ जुड़ल कंप्यूटर आ हार्ड डिस्क दुनूकेँ संग लय चलि जाइत रहल। अपनेकेँ बता दी जे ज़िलामे 18 दिनक भीतर इ दोसर बैंक डकैती थिक। घटनाक बाद मुजफ्फरपुर रेंज केँ डीआईजी आ एसपी सहित पुलिसक आला अधिकारी घटना स्थल पर पहुँच स्थितिक समीक्षा क रहल छथि।

    एक दिस बिहारमे अपराधक घटना सुरसाक मुँह जेना पसरल जा रहल अछि त दोसर दिस राज्यक मुख्यमंत्री आ उपमुख्यमंत्री अपन भिन्ने राग अलापि रहला अछि।