मुख्यमंत्री’क सात निश्चय धोखा अछि: नित्यानंद राय

    0
    295

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: भजपाक बिहार प्रदेश अध्यक्ष बनलाक बाद पहिल बेर दरभंगा पहुंचल नित्यांनद राय कहलनि जे, 100 प्रतिशत कैश-लैश भेनाय आसान नहि अछि, मुदा एकर शुरुआत भय गेल अछि। कैश-लेश समाज बनेबाक दायित्व मात्र केन्द्र सरकारक जिम्मेवारी नहि अछि, राज्य सरकार आ समाजक प्रत्येक व्यक्ति के अहि मे योगदान देबय पड़त।

    ओ कहलनि जे, मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सात निश्चय धोखा अछि, ओ कहलनि जे, राज्य सरकार एकहु टा निश्चय के नाम बता दे जाहि मे केन्द्र सरकारक रुपैया नहि लागल हो। नित्यानंद कहलनि जे, राज्य मे लूट-अपहरण, दुष्कर्म बढ़ि गेल अछि।

    मौजूदा सरकार बिहार विधानसभा चुनाव मे लोक के गुमराह कय सत्ता मे आयल अछि। कमला नेहरू पुस्तकालय मे आयोजित सम्मान समारोह मे विधायक संजय सरावगी, जीवेश मिश्र, विधान पार्षद अर्जुन सहनी, अशोक यादव, हरि सहनी, गोपाल जी ठाकुर, अशोक नायक, आदित्य नारायण मन्ना समेत बहुतो भाजपा कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।