दरभंगा मे बंद के लय क प्रदर्शन

    0
    545

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा: राष्ट्रव्यापी आम हड़तालक समर्थन मे दरभंगा मे जगह-जगह पर मोर्चा निकालल गेल। सूत्रक अनुसार मोर्चा प्रदर्शनक नेतृत्व खेमस के राष्ट्रीय महासचिव धीरेन्द्र झा, माले जिला सचिव बैद्यनाथ यादव तथा वरिष्ठ नेता कर्नल लक्ष्मेश्वर मिश्र कय रहल छथि।

    मोर्चा प्रदर्शन लहेरियासराय स्टेशन स चट्टी चौक, टॉवर, समाहरणालय होइत आयुक्त कार्यालय तक निकालल गेल। उम्हर पप्पू पासवानक अध्यक्षता मे आयोजित सभा के संबोधित करैत माले पोलित ब्यूरो सदस्य सह खेमस के राष्ट्रीय महासचिव धीरेन्द्र झा प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी पर निशाना साधैत कहलनि जे, आय के आम हड़ताल के बाद स मोदी सरकारक उल्टा गिनती शुरु भय जायत। ओ कहलनि जे, अम्बानी स यारी करय बला सरकार के जल्दिये जाय पड़त।