मुजफ्फरपुर मे संक्रामक रोग पसारि रहल शहरक 26 गोट नर्सिंग होम

    0
    278

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर जिलाक 26 गोट नर्सिंग होम लाेक मे संक्रामक बीमारी फैला रहल अछि। ई सब मेडिकल कचराक नियम के तहत निस्तारण नहि करैत अछि, बल्कि सामान्य कचराक संग कूड़ाक ढ़ेरी पर फेंक दैत अछि।

    अहि मे सीरिंज स लय क मानव अंग तथा नुकीला औजार सेहो होइत अछि। ई कचरा सड़क धरि पसरल रहैत अछि। जाहि सं एचआइवी तथा हेपटाइटिस बी एहेन गंभीर संक्रामक रोग फैलबाक खतरा बनल रहैत अछि।

    ई खुलासा मेडिकेयर इन्वारमेंटल प्राइवेट लिमिटेड केलक अछि। राज्य स्वास्थ्य समिति स अधिकृत ई एजेंसी बेला मे कचराक निष्पादन करैत अछि। एतय जिलाक 127 नर्सिंग होम निबंधित अछि। अहि के बदला मे सरकारक दिस सं निर्धारित दर लेल जाइत अछि। हालांकि अहि सं 26 नर्सिंग होम बहुतो महिना सं मेडिकल कचरा नहि उठबैत अछि।