अष्टधातु’क दस गोट प्राचीन मूर्ति चोरी

    0
    394

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: पूर्णिया के बड़हरा थाना क्षेत्र सं कैल्ह देर राति चोर अष्टधातुक दस टा प्राचीन मूर्तिय चोरा लय गेल। धमदाहा के पुलिस उपाधीक्षक एम.एच.फाखरी कहलनि जे, सुखासन गाम स्थित राम-जानकी ठाकुरबाड़ी के मुख्य दरवाजा मे लागल ताला के तोड़ि कय देर राति चोर प्रवेश कय गेल। अहि के बाद चोर ठाकुरबाड़ी मे राखल अष्टधातुक राम, सीता, लक्ष्मण, हनुमान, राधा आ कृष्ण समेत दस टा प्राचीन मूर्ति चोरी कय लय गेल।

    सूचना  के बाद अज्ञात चोर के खिलाफ मामला दर्ज कय खोज अभियान शुरू कय देल गेल अछि। मुदा एखन धरि चोरक कोनो सुराग नहि भेटल अछि।