जेपी नड्डा कएलनि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ मुलाकात, एनडीए मे सीट बँटवारा केँ ल’ सेहो भेल बात

0
545

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे होई वला विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक गहमागहमी बढ़ी गेल अछि। आगामी विधानसभा चुनाव केँ चलते भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा बिहारक मुख्यमंत्री आ जदयू केँ अध्यक्ष नीतीश कुमार सँ भेँट कएलनि। जनतब होयत जे जेपी नड्डा बिहार केँ दू दिवसीय दौरा पर छथि। अपन यात्राक दोसर दिन भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा  मुख्यमंत्री आवास पर जा भेँट कएलनि।  एही दौरान  हुनका संग बिहार चुनावक प्रभारी भूपेंद्र यादव, प्रदेश अध्यक्ष संजय जायसवाल, उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी आ जदयूक वरिष्ठ नेता राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह सेहो मौजूद छलाह।

भेट रहल जानकारी केँ मुताबिक करीब एक घंटा धरि दुनू गोटेक बीच बातचीत भेल। दुनू गोटे केँ भेँट पर राजनीतिक कयास चालु अछि। एही भेंटवार्ता केँ विधानसभा चुनाव केँ ल’ बहुत बेसी अहम मानल जा रहल अछि। बातचीत में एनडीए केँ घटक दलक बीच होई वला सीट बंटबारा सँ ल’ लोजपाक नाराजगी तक पर चर्चा भेल। हालाँकि अंदर भेल बातचीत केँ ल’ कोनो नेता किछु नहि बाजी रहल छथि।

खबर अछि जे एक घंटा तक चलल मंत्रणा में भाजपा आ जदयू केँ नेता लोकनिक बीच एही बात पर सेहो चर्चा भेल जे सीट बँटवारा कोना कएल जाए। अंदुरुनी जानकारी केँ मुताबिक जदयू विधानसभाक 243 सीट केँ दू हिस्सा मे बांटय चाहैत अछि। आ ओ अपन हिस्सा मे सँ ‘हम’ के सीट देबा पर विचार क’ रहल अछि। नीतीश कुमार केँ पार्टी के कहब छनि जे हम अपन हिस्सा मे सँ मांझी के सीट देब आ भाजपा अपन हिस्सा मे सँ लोजपा केँ सीट दौथ।

एम्हर भाजपा सीट केँ तीन हिस्सा मे बांटय केँ बात क’ रहल अछि। जाहि में भाजपा, जदयू आ लोजपाक बीच सीट बाँटल जाय आ हम केँ जदयू अपन कोटा सँ सीट देत। हालाँकि दुनू शीर्ष नेतृत्वक बीच सीट बँटवारा केँ ल’ बातचीत त’ भेल मुदा कोनो निष्कर्ष नही निकलि सकल। लोजपाक नाराजगी आ एनडीए मे मांझीक एंट्री केँ बाद ई भेंट बहुत महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि। आब देखबाक बात अछि जे एही बातचीत केँ बाद एनडीए में चलि रहल अंदरूनी घमासान बंद होयत वा नहि।