चिराग केँ तेवर पड़ल ढील, कहलनि लोजपा पूर्ण रूपेण राजग केँ संग, भाजपाक हर फैसला मंजूर

0
830

दिल्ली/पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे होई वला आगामी विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक ध्रुवीकरण चलि रहल अछि। बिहारक दुनू प्रमुख गठबंधन मे आतंरिक क्लेश शुरू अछि। एहन मे सीट केँ ल’ सेहो रार बरकरार अछि। एनडीए केँ घटक दल लोजपा आ जदयूक बीच चलि रहल वाक युद्ध किनको सँ छिपल नहि अछि। मुदा शनिदिन जेपी नड्डा आ नीतीश कुमारक बीच भेंटवार्ताक बाद लोजपाक तेवर में कमी देखना जा रहल अछि। लोजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवानक तल्ख तेवरक वजह सँ एनडीए मे मचल उथल पुथल पर आब विराम लगैत देखना जा रहल अछि। लोजपा अध्यक्ष चिराग पासवान साफ शब्द मे कहलनि अछि जे भाजपाक हर फैसला हुनका मंजूर छनि। भाजपाक शीर्ष नेतृत्व पर हुनका पूरा भरोसा छनि आ पार्टी जे कोनो फैसला लेत ओ हुनका संग ठाढ़ रहता। बतादी जे भाजपा पहिने कही चुकल अछि जे एनडीए नीतीश कुमारक नेतृत्व में चुनाव लड़त आ नीतीश कुमार मुख्यमंत्री  केँ चेहरा हेताह।

एम्हर शनिदिन सेहो भाजपा अध्यक्ष जेपी नड्डा भाजपाक आत्मनिर्भर बिहार कार्यक्रम के दौरान दोहरेलनि जे लोजपा एनडीए केँ हिस्सा छी आ ओ कतहु नहि जायत। सीटक बँटवारा पर चिराग कहलनि भाजपा आ लोजपाक बीच अखनि धरि कोनो तरहक बात नही भेल अछि। सीट केँ ल’ कोनो लड़ाई नै छैक। जँ कोनो बात होयत त’ बैस क’ सुलझा लेल जायत। जहाँ तक गठबंधन केँ सवाल थिक अखनि कोनो फैसला नै लेल गेल अछि।

जनतब होयत जे नीतीश से चलि रहल विवाद पर कहलाह ओ किनको टेंशन नही दैत छथि।  बिहारक मुखिया नीतीश कुमार छथि। राज्यक कोनो समस्या हुनका सँ नहि कहबनि त’ केकरा कहब। हमहूँ बिहार में 38 जिला घुमलहूँ जे समस्या देखना गेल ओकरा लेल आवाज  उठेलहूँ। ई कोनो अपराध त’ नै थिक। किनको लगैत छनि जे जन समस्या पर सवाल उठायब गलत छैक त’ इ हुनक सोच भ’ सकैत छनि। आब देखबाक बात ई अछि जे लोजपा केँ अगिला कदम की होइत अछि। की चिराग कोनो पैघ सियासी फैसला लेताह। ई अखनो सवाल बनल अछि।