साइंसक तेसर टॉपरक खुलासा, पांच लाख दय टॉप करबाक बात कबुललनि

    0
    382

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक इंटर टॉपर घोटाला मे बुधदिन एकटा बड पैघ खुलासा भेल। वैशाली स गिरफ्तार साइंसक तेसर टॉपर राहुल कुमार पूछताछ के दौरान कहलनि जे, टॉपर बनबाक लेल हमर पिता घोटालाक मुख्य आरोपी बी.एस कॉलेजक डायरेक्टर बच्चा राय स पांच लाख रुपैया मे डील केने छलाह। जाहि मे ढ़ाई लाख रुपैया देल गेल छल आ बांकी रुपैया बाद मे देबाक बात छल।

    एसएसपी मनु महाराज कहलनि जे, राहुल कहलनि जे, पांच लाख मे डील भेल छल। फिलहाल एखनहु पूछताछ जारी अछि, जाहि के बाद राहुलक पिताक गिरफ़्तारी सुनिश्चित कायल जायत। ज्ञात हो कि अहि स पहिने बिहार बोर्ड राहुलक रिजल्ट रद्द कय देने अछि। राहुल इंटर साइंसक तेसर टॉपर छलाह।

    साइंसक टॉप-10 मेधा सूची मे शामिल राहुल बच्चा राय के कॉलेज वीआर कॉलेज, कीरतपुर, भगवानपुर, वैशालीक छात्र छलाह। विवादक बाद बिहार बोर्ड के रिजल्ट वेबसाइट स सौरभ श्रेष्ठ आ राहुल कुमारक संग शालिनी रॉय के मार्क्सशीट स हुनकर सब विषयक अंक हटा देल गेल।