थाइलैंड पर जीतक संग फाइनल मे भारतीय टीम

    0
    293

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: द एरेना बाय ट्रांसस्टेडिया मे खेलल जा रहल कबड्डी विश्व कप के दोसर सेमीफाइनल मुकाबला मे शुक्रदिन जे उम्मीद छल, ओहिना भेल। पहिल सेमीफाइनल मे भारत थाईलैंड के 53 अंकक भारी अंतर सं मात दय फाइनल मे जगह बना लेलक अछि। आसान मुकाबला मे भारत थाईलैंड के 73-20 सं मात देलक। फाइनल मे शनिदिन भारतक सामना ईरान स होयत। ईरान पहिल सेमीफाइनल मे कोरिया के 28-22 स हरा फाइनल मे जगह बनौलक अछि।

    भारत के अप्पन पहिल मुकाबला मे कोरिया के खिलाफ अप्रत्याशित हार भेटल छल, मुदा भारत जबरदस्त खेल देखबैत अप्पन सब मैच जितैत फाइनल मे जगह बनेलक अछि। भारत के सेमीफाइनल मुकाबला जीतबा मे कोनो परेशानी नहि भेल।

    भारत गातार पांच अंक हासिल कय थाईलैंड के दबाब मे आनि देने छल। बाद मे थाईलैंड के कप्तान खोमसाम थोंकखाम ने आपन टीमक खाता खोललाह। भारत टकरा बाद फेर तीनटा लगातार अंक लैत स्कोर 8-1 कय लेलक। काफी मशक्कत के बाद थाईलैंड फाइनल स्कोर के 73-20 धरि लय जा सकल।

    भारत के लेल परदीप नरवाल सर्वाधिक 14 अंक बटोरलनि। ओतहि अजय ठाकुर अहि मैच मे कुल 11 अंक अप्पन नाम केलनि। अहि मैच सं पहिने हुंकार 41 अंक छलनि, आब हुंकार कुल 52 अंक भय गेलनि जे बांग्लादेशी कप्तान अरुदजमन मुंशी के बराबर अछि।