सीतामढ़ी मे साउस-ससुर करौलक पुतौह संग दुष्कर्म

    0
    318

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: साउस-ससुर गामक चारि टा लोक के कहलक जे, हमर पुतौह सं गैंगरेप करै जाऊ। अहि के लेल चारि गोट युवक स कहल गेल आ बताओल गेल जे, पुतौह घर स निकलय वला अछि। राति मे जहन पुतौह शौच के लेल बाहर निकलल त युवक मुंह बंद कय एकांत मे लय जा दुष्कर्म केलक।

    साउस-ससुर अप्पन आँखिक सोंझा पुतौह के अहि अवस्था मे देखि मजा लैत रहल। स्थानीय लोकक अनुसार पीड़िता के भोर मे अर्द्धनग्न अवस्था मे बेहोश पाओल गेल जकरा बाद अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल। पीड़िता थाना मे गैंगरेपक प्राथमिकी दर्ज करौलक अछि आ साउस-ससुर के खिलाफ आरोप लगौलक अछि जे, ओ जानि-बुझि कय एना करौलक अछि।

    घटना सीतामढ़ी के रीगा थाना इलाका के अछि, जतय एकटा नवविवाहिता स गैंगरेपक अजीब मामला सामने आयल अछि। पीड़िता के अनुसार अहि घटनाक सूत्रधार हमर साउस-ससुर अछि।