महिलाक संग सामूहिक दुष्कर्म, पांच गोटे गिरफ्तार

    0
    281

    मुजफ्फरपुर,  मिथिला मिरर: पुरनहिया थाना क्षेत्रक दोस्तियां गाममे दू दिन पहिने घरमे परिजनक अनुपस्थितिकें देखि कए गामक पांच टा बदमाश एकटा महिलाके घर सं उठा कए किछु दूर लए जा महिलाक संग सामुहिक दुष्कर्मक घटनाकें अंजाम देलक। आए जहन परिजन घर आएल त पीडितक हाल सुनि समुच्चा गाम सन्न रहि गेल।

    आक्रोशित ग्रामिण महिलाके पहचान करबा पर पांच गोट बदमाशमे सं चारि टा दुष्कर्मीकेँ पकड़ि कए जान सं मारबाक कोशिश केलक। हालांकि सूचना भेटला पर एसपी पीएन मिश्र पहुंच कए लोककें समझा कए शांत केलनि आ आरोपीकें पुलिस हिरासतमे लए लेलक।

    बताओल जा रहल अछि जे, घटना 28 अप्रैलक अच्छी, जहन महिलाकें गामक पांचटा युवक पकड़ि कए सुनसान जगह पर लए जा ओकरा संग सामूहिक बलात्कार केलक। अहि दौरान महिलाक परिजन बियाह समारोहमे भाग लेबाक लेल बाहर गेल छल।