दिसंबर सं पुनः जनता सं सीधा संवाद करताह नीतीश कुमार

    0
    460

    पटना, मिथिला मिरर: ‘जनता के दरबार मे मुख्यमंत्री’ कार्यक्रम बंद करबाक पांच महीना बाद बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दिसंबर सं पुनः ‘लोक संवाद’ कार्यक्रम के माध्यम सं जनता के समक्ष उपस्थित हेबाक निर्णय लेलनि।

    प्रधान सचिव ब्रजेश महरोत्रा कहलनि जे, मुख्यमंत्री के अध्यक्षता मे एकटा कैबिनेट बैसक मे अहि संबंध मे फैसला कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे, ‘लोक संवाद’ कार्यक्रम के तहत नीतीश कुमार अप्पन मंत्री के संग लोक सं बात करताह, तथा सब महीना के पहिल तीनटा सोम क सुझाव सुनताह।

    मेहरोत्रा कहलनि जे, ई संवाद मुख्यमंत्री के आधिकारिक आवास, सचिवालय या जिला मे होयत। ओ कहलनि जे, ‘लोक संवाद’ नामक एकटा साफ्टवेयर बनाओल गेल अछि, जाहि के तहत लोक करीब 200 शब्द मे अप्पन सुझाव दय सकैत अछि।