शीर्षासन मे विश्व रिकाॅर्ड बनेलाह मिथिला मिरर’क योग एक्सपर्ट रवि व्योम शंकर झा

    0
    320

    दिल्ली-मिथिला मिररः विश्व योग दिवस पर जखन विश्वक 191 गोट देशमे हर्षोल्लासक संग योग मनाओल जाइत छल तखन बिहार आ मिथिलाक लेल दू गोट समाचार सुर्खी बनि रहल छल। एक दिस बिहार सरकार विश्व योग दिवस कें राजनीतिक रंग दैत योग दिवसकें बहिष्कार केलक तऽ दोसर दिस ओहि समय मिथिलाक पूत योगाचार्य रवि व्योम शंकर झा 90 मिनट धरि शीर्षासन कऽ अपन नाम गोल्डेन बुक आॅफ वल्र्ड रिकाॅडमे दर्ज करवा रहल छलाह।

    ravi-2मूल रूप सं मधुबनी जिलाक अड़ेर थानाक ढंगा (पश्चिम) गामक रहनिहार श्रेष्ठ नारायण झा आ कान्ति देवीक पुत्र रवि व्योम शंकर झा 01 घंटा 30 मीनट धरि लगातार शीर्षासन कऽ अपन नाम गोल्डन बुक आॅफ वल्र्ड रिकाॅर्ड मे दर्ज करवेलाह।

    ravi-3
    पतंजलि योग संस्थान सं योगक शिक्षा-दीक्षा ग्रहण केनिहार रवि व्योम शंकर झा, विश्व योग दिवसक अवसर पर हरियाणाक फरिदाबाद मे पतंजलि आ बाबा रामेदव द्वारा आयोजित योग कार्यक्रमक व्यवस्थापक मंडलक सदस्य छलाह आ ओहिठाम ओ विश्व रिकाॅर्ड बनेलाह। अहि सं पहिने पहिल योग दिवसक अवसर पर इ रिकाॅर्ड 61 मिनट कें बनाओल गेल छल, जेकरा रवि तोड़ि देलिन।

    ravi-4रवि मिथिला मिररक योग एक्सपर्ट सेहो छैथ आ अपने लोकनिक लेल योग सं जुड़ल विभिन्न विषय पर अपने लोकनिक लेल विभिन्न तरहक समाचार आ योगासन लए अवैत रहैत छथि। ओना बाबा रामदेव सेहो विश्व योग दिवसक अवसर पर 450 योगाचार्य कें लय पांच मीनट धरि शीर्षासन कऽ सामुहिक रूपे होइवला एखन तक कें सब सं पैघ शीर्षासनक रिकाॅर्ड बनेलाह। संपूर्ण मिथिला मिररक टीम दिस सं रविकें अहि उत्कृष्ट सफलताक लेल हार्दिक बधाई आ उज्जवल भविष्यक कामना।