मिथिला सहित पूरा बिहारमे देखल गेल हड़तालक असर, बैंक पर लटकल ताला

0
384

मोतिहारी/ बेगुसराय, मिथिला मिरर: यूनाइटेड फोरम आँफ आरआरबी यूनियनक आह्वान पर सेन्ट्रल ट्रेड यूनियन्सकेँ बारह सूत्री माँगक समर्थनमे देशक 53 टा ग्रामीण बैंकक 22000 शाखा आ प्रशासनिक कार्यालयकेँ 90000 अधिकारी आ कर्मचारी आई हड़ताल पर छलाह। एहि दौरान बैंकमे कोनो काज नै भेल। बिहारक दुनू ग्रामीण बैंक उत्तर बिहार आ दक्षिण बिहारक 2110 शाखामे हड़तालक कारण ताला लटकल रहल जाहिसँ 30 हजार करोड़ रुपैयाक कारोबार प्रभावित भेल। ग्रामीण बैंक कर्मि लोकनि द्वारा 1 नवम्बर 1993 सँ पेंशन भुगतान, 1 अप्रैल 2010 क बाद बैंकमे नियुक्त कर्मि सभके एनपीएसक’ बदला पुरना पेंशन लाभ आ प्रायोजक व्यावसायिक बैंकक समान सेवा शर्तक माँग ल’ प्रदर्शन केलक।

ट्रेड यूनियनकेँ हड़तालक असर दरभंगा, मुजफ्फरपुर, बेगुसराय, मोतिहारी,समेत पूरा प्रदेशमे देखल गेल। बैंकमे ताला लटकल छल जाहिसँ ग्राहक सभके दिक्कतक सामना करय पड़लनि।  इंटकसँ जुड़ल मजदूर संगठन दुपहरिया बाद जगह-जगह ट्रेन परिचालन ठप्प कएलनि। ओतहि आम हड़तालकेँ ल’ बाम संगठन सभ शहरमे विरोध मार्च निकाललाह। विरोध मार्चमे शामिल लोकसभ सरकारक खिलाफ नारेबाजी सेहो कएलनि। हड़ताली कर्मचारी लोकनिकेँ कहब छनि जे सरकार मात्र कॉर्पोरेट घरानके सहयोग क’ रहल अछि। एहि आंदोलनमे सेविका सहायिका, रसोईयाक’ अलावे अन्य कर्मी सेहो शामिल भेल। बैंकक कर्मचारि सभ सेहो अपन माँग ल’ धरना देलनि। कमोबेश बेगूसरायके येह स्थिति छल। हड़ताली कर्मि सभ बैंकक प्रवेश द्वारकेँ सामने धरना पर बैस गेलाह आ जमि क’ नारेबाजी केलनि। मोतिहारीमे हड़ताली कर्मि सभ एनएचकेँ जाम क’ देलनि। हड़तालक कारण लोकसभकेँ परेशानि बढ़ी गेलनि। बीमा क्षेत्रमे सेहो हड़तालक यैह स्थिति रहल। ट्रेड यूनियन सरकार पर मजदूर विरोधी होयबाक आरोप लगबैते आठ आ नौ जनवरीकेँ बंदक एलान पूर्वसँ केने छल। बिहार प्रोविंशियल बैंक इम्पलाइज एसोसिएशन जिला महासचिव चंदन कुमार  कहलनि जे सरकार लगातार मजदूर आ कर्मचारी विरोधी काजक’ रहल अछि। जाहिकेँ विरोधमे हड़ताल कएल जा रहल अछि। ओतहि पूर्वी चंपारण जिलामे ट्रेड यूनियन अपन माँगके समर्थनमे विरोध करैत संघक सदस्य सभ एनएच आ अन्य सभ मार्गकेँ जाम क’ पूर्ण तरहें आवागमन ठप क’ देलनि। समाहणालयकेँ समक्ष सेहो हजारोंके संख्यामे पहुँची प्रदर्शन कएलनि। बैंक आ विभिन्न कार्यालयकेँ बंद रहबाक स्थितिमे लोक सभक काज प्रभावित भेल।