निजी अस्पताल मे बच्चाक मौत के बाद परिजन केलनि हंगामा

    0
    255

    कटिहार, मिथिला मिरर: बिहारक कटिहार जिला मे सोमदिन निजी नर्सिंग होम मे इलाजक दौरान एकटा बच्चाक मौत भय गेल। बच्चाक मौतक बाद परिजन जमि कय हंगामा केलनि। डेढ़ सालक मासूम के इलाजक लेल शहरक ए टू जेड नर्सिंग होम मे भर्ती कराओल गेल छल। बच्चाक हालात बिगड़ैत देखि डॉक्टर दिमागी बुखारक संदेह पर बच्चाक रीढ़क हड्डी सं पानि निकाललक, जाहि के किछु देर बाद बच्चाक मौत भय गेल।

    बच्चाक मौत पर परिजन डॉक्टर आ नर्सिंग होम प्रशासन पर रुपैया ठकबाक आ इलाज मे लापरवाही बरतबाक आरोप लगेलक अछि। दोसर दिस डॉक्टरक कहब छल जे, इलाज मे कोनो कोताही नहि बरतल गेल आ रुपैयाक आरोप निराधार अछि। नगर पुलिस मौका पर पहुंचकय परिजन के समझ बुझाकय शांत करेलक अछि।