झंझारपुर मे ट्रक सं कुचलि कय साइकिल सवारक मौत

    0
    284

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर अनुमंडल के रुद्रपुर थाना क्षेत्रक महरैल स्टेशनक समीप शुक्रदिन ट्रक सं कुचलिकय साइकिल सवार एकटा युवकक मौत भय गेल। जाहि सं भड़कल स्थानीय लोक झंझारपुर-अंधराठाढी पथ के जाम कय देलनि। मृतक युवकक पहिचान महरैल गाम निवासी सत्य नारायण साह के रूप मे कायल गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार सत्य नारायण साइकिल सं गाम-गाम घुमि कय चुड़ी बेचय के काज करैत छल। सत्य नारायण साहक मौत सन पूरा परिवार आबि गेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, साह चुड़ी बेचकय अप्पन घर महरैल वापस जा रहल छल। निर्माणाधीन सड़क पर पड़ल पैघ पत्थर के टुकड़ा पर साइकिलक पिछला पहिला पिछड़ी गेल आ साह सड़क पर खसि पड़लाह। ताहि क्रम मे एकटा ट्रक जा रहल छल, सड़क पर खसितहि ओ ट्रकक नीचाँ आबि गेलाह। जाहि सं हुनकर मौका पर मौत भय गेल।

    तमसायल लोक सड़क जाम कय मृतकक परिजन के समुचित मुआवजा देबाक मांग कय रहल अछि तथा सड़कक निर्माण अविलम्ब पुरा करबाक मांग सेहो कय रहल अछि। घटना स्थल पर मुखिया गीता नाथ झा आ रुद्रपुर थाना प्रभारी प्रदीप गौर पहुंच कय लोक के समझा बुझाकय शांत केलनि।