झाड़फूंकक बहन्ने घरक लोक के बेहोश कय लूटपाट केलक तांत्रिक

    0
    296

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिला के सरैया थाना क्षेत्रक बल्ली सरैया इलाका मे रविदिन राति एकटा तांत्रिक झाड़फूंक व घर बान्है के बहाने घरक पांच सदस्य के नशीला दवाई खुआ कय बेहोश कय देलक। अहि के बाद घर स गहना समेत बहुतो कीमती सामान लय फरार भय गेल। भोर मे काफी देर धरि घरक लोक नहि जागल त पडोसी के संदेह भेल। जहन पडोसी सब घर पहुँचल त अंदर सुरेंद्र भगत, जगदीश भगत, मीना देवी, राजकुमारी देवी व रवींद्र कुमार बेहोशीक हालत मे जमीन पर पड़ल छल।

    ग्रामीणक सूचना पर पहुंचल पुलिस सब के अस्पताल मे भर्ती करौलक अछि। पुलिसक कहब अछि जे, सब के होश मे एलाक बाद मामला स्पष्ट भय जायत। फिलहाल सदर अस्पताल मे सबहक इलाज चलि रहल अछि।