राज्य मेधा छात्रवृत्तिमे एकहि स्कूलक सात गोट बच्चा उत्तीर्ण

    0
    265

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: प्रखंडक आदर्श उत्क्रमित मध्य विद्यालय लाटबसेपुराकें सात गोट छात्रछात्रा राष्ट्रीय आय सह मेधा छात्रवृति परीक्षा-2017’मे सफलता प्राप्त कय अपन प्रतिभाक परचम फहरा देलक अछि। ज्ञात हो कि राज्य शैक्षिक अनुसंधान प्रशिक्षण परिषद द्वारा आयोजित अहि परीक्षामे प्रति वर्ष आठम वर्गमे अध्ययनरत शिक्षार्थी भाग लैत अछि। अहि वर्ष अहि विद्यालयकें कामिनी कुमारी, सोनी कुमारी, निधि गुप्ता, खुशी गुप्ता, अमन कुमार, चन्द्रजीत कुमार एवं कंगन कुमारी उत्तीर्ण केलनि अछि।

    प्रधानाध्यापक अनंत कुमार राय छात्र-छात्रा’क अहि शानदार प्रदर्शन पर हर्ष व्यक्त केलनि अछि। संगहि ओ कहलनि जे, ई विद्यालयकें शिक्षकके कठिन परिश्रमक प्रतिफल अछि। एतयके बच्चा जिलामे सर्वोत्कृष्ट स्थान प्राप्त केलक अछि।

    विद्यालयमे सोमदिन समारोहपूर्वक सब छात्र-छात्राक पाठ्य सामग्री दय पुरस्कृत कएल गेल। मौका पर संकुल समन्वयक मणिकांत झा, वरीय शिक्षक विनोद कुमार महतो, कंचन रानी, ममता कुमारी, संगीता कुमारी, नागमणि आशुतोष, गंगा नारायण विद्यार्थी, कमलेश कुमार राय, गायत्री कुमारी, राजेश्वर राम, राजू कुमार आदि शिक्षक-शिक्षिका मौजूद छलाह।