मुजफ्फरपुर नगर निगममे पानिक लेल मारिपीट

    0
    262

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: पेयजलक संकट सं निजात दिएबाक मांगकें लए निगम कार्यालयमे हंगामा कए रहल महिलाक संग निगमकर्मी मारिपीट केलक। घटनाक बाद आक्रोशित महिला निगम कार्यालयकें मुख्य द्वारि बंद कए देर साँझ धरि हंगामा केलनि। ओ नगर आयुक्तकें बजेबा एवं मारिपीट करय वला कर्मचारी पर कार्रवाईकें मांग कए रहल छल।

    बादमे मौके पर पहुंचल नगर थानाध्यक्ष केपी सिंह महिलाकें समझा-बुझा कए हटेलनि। महिला निगमके तीन कर्मचारी मनोज ठाकुर, अमरेश कुमार एवं आलोक कुमार समेत अन्य निगमकर्मीके खिलाफ नगर थानामे लिखित शिकायत दर्ज करेलनि अछि।

    वार्ड नंबर सातमे पेयजलक संकट सं निजात दिएबाक मांगकें लए निर्भया सेनाक अध्यक्ष आरती सिंह बहुत दिन सं दौड़ लगा रहल छथि। बृहस्पति दिन हुनकर पुत्र एवं एक दर्जन महिलाक संग निगम कार्यालय पहुंचल आ हंगामा करए लागल। ओ निगम कार्यालयकें दरवाजा बंद कए देलनि आ कैंपसमे राखल कुर्सी, कूड़ेदान एवं साइकिलकें उलटा देलक।

    महिलाक व्यवहार सं निगम कर्मचारी आक्रोशित आ महिला पर हमला केलक। आरती सिंहक पुत्रकें पिटाई कए देलक। अहि दौरान महिलाकें सेहो चोट लागल। मारिपीटक दौरान कनेकालक लेल निगम कार्यालय अखाड़ा बनि गेल छल।