दरभंगामे नियोजित शिक्षकक फेर धरना-प्रदर्शन

    0
    517

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघकें आह्वान पर नियोजित शिक्षक सब प्रखंड संसाधन केंद्र सिमरी पर शनिदिन धरना प्रदर्शन कय विरोध जतेलनि। बेमियादी हड़ताल जारी रहबाक संग समान काजक समान वेतनक मांग पर शिक्षक डटल रहल। अहि दौरान बिहार सरकारक नीतिकें विरुद्ध नारेबाजी कएल गेल।

    मध्य विद्यालय परिसरमे जुटल शिक्षक संघक सचिव विकास पाठककें अध्यक्षतामे बैसक कय शिक्षककें 10 सदस्यीय टीमक लेल विभिन्न विद्यालयमे भ्रमण करबा तथा हड़तालकें सफल बनेबाक आह्वान केलनि। मौका पर टीईटी शिक्षक संधके प्रदेश प्रभारी रविशंकर श्रीवास्तव समर्थन देबाक अपील केलनि।

    अहि दौरान बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संधक जिला अध्यक्ष शंभू यादव, उपाध्यक्ष प्रशांत कुमार झा, जिला सचिव जसीम अहमद व प्रखंड शिक्षक संघके अध्यक्ष प्रणय कुमार, राम प्रकाश यादव, पूनम झा, इरशाद इलाही, रामाशंकर गौतम, प्रशांत कुमार, छाया पाठक, रूबी देवी, चंदेश्वर महतो, आशा देवी, आशा कुमारी सहित अन्य मौजूद छल।