प्रख्यात साहित्यकार मणिकांत झा बनलाह निर्वाचन आयोगक ‘आइकॉन’

    0
    352

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मैथिलीक प्रख्यात साहित्यकार तथा पत्रकार मणिकांत झा के निर्वाचन आयोग अप्पन ‘आइकॉन’ बनेलक अछि। निर्वाचन कार्यालय पटना द्वारा जारी पत्र मे मणिकांत झा के दरभंगा जिलाक लेल आइकॉन बनाओल गेल अछि। निर्वाचन आयोग द्वारा मतदाता जागरूकताक लेल चलाओल जा रहल स्वीप कार्यक्रम के सफल बनेबाक लेल आइकॉन बनाओल गेल अछि।

    विदित हो कि अहि सं पूर्व मणिकांत झा द्वारा लिखल गेल मतदाता जागरूकता मैथिली गीत संग्रह वोटमणि के सेहो भारत निर्वाचन आयोग द्वारा स्वीप कार्यक्रमक लेल अनुशंसित कायल गेल छल। मणिकांत झा द्वारा चलाओल जा रहल मणिशृंखलाक अंतर्गत लिखल गेल गीतक पुस्तक गीतमणि, नीलमणि, मीतमणि, स्वच्छमणि, फागमणि, मधुमणि, नवरात्रमणि आदि समाज मे भरपूर लोकप्रियता हासिल केलक अछि।

    मणिकांत झा के आइकान बनेला पर विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू, पं कमला कांत झा , रविन्द्र कुमार दिवाकर, जीवकांत मिश्र, ओमप्रकाश खेड़िया, हीरा कुमार झा, प्रकाश कुमार, रंजीत कुमार झा, विष्णुदेव झा विकल, जयप्रकाश चौधरी जनक, विजय कांत झा सहित बहुतो लोक बधाई संदेश देलनि।