यज्ञक लेल वैदिक मंत्रोपचारक संग भेल ध्वजारोहण

    0
    330

    सुपौल,मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगतः सुखानगर पंचायतक सुकृतनगर, जयनगरा गांवमे दुर्गानंद झा केर आवासक निकट शिव मंदिर प्रांगणमे शिवलिंगक स्थापन, प्राण प्रतिष्ठा सहित पोखैरक यज्ञक आयोजन आगामी 6 जुलाई कऽ बुधदिन हैव सुनिश्चित कैल गेल अछि। अहिकें बाद गाममे चहल-पहल शुरू भए गेल अछि। आयोजनक मुख्य जयमान दुर्गानंद झा आ हुनक पत्नी शांति देवी हेतथि, जखन कि आचार्य पंडित धर्मेंद्र नाथ मिश्र हेताह।
    यज्ञ आयोजनक लेल मंदिर प्रांगणमे ध्वजा रोहण कऽ यज्ञकलेल विधिवत मंडल बेनवाक कार्य शुरू कए देल गेल अछि। ध्वजा रोहण पूर्ण वैदिक मंत्रोपचारक संग कैल गेल जाहिमे आचार्य सहित अन्य पंडित लोकनि भाग लेलाह। यज्ञकें निविघ्र्न संपन्न करेवाक लेल विवेकानंद झा, सचिदानंद झा, विनोदानंद झा, बासुकी नाथ झा, उज्जवल झा, हर्षनन्द, वाणी झा, साक्षी झा सहित अन्य ग्रामीण एवं परिजन सब सक्रिय रूपसं कार्य कए रहला अछि।