जदयू प्रत्याशिक लेल आए प्रचार करताह नीतीश कुमार

    0
    251

    दिल्ली, मिथिला मिरर: पूर्वांचलक मतदाताकें बल पर दिल्ली नगर निगम चुनाव लड़ि रहल जनता दल यूनाइटेडके राष्ट्रीय अध्यक्ष बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शनिदिन जदयू उम्मीदवारक लेल प्रचार करताह। 23 अप्रैल कय नगर निगम चुनावकें मद्देनजर नीतीश कुमार राष्ट्रीय राजधानीमे प्रचार करताह। नीतीश कुमारक निकाय चुनावक लेल ई पहिल प्रचार अभियान होएत।

    पूर्वमे अहि प्रचारक लेल 9 अप्रैलक दिन निर्धारित छल, मुदा अहि दिन राजौरी गार्डन विधानसभा उपचुनावक कारण 8 अप्रैल कएल गेल अछि। दिल्ली एमसीडी चुनाव प्रचार कार्यक्रमके तहत नीतीश कुमार शनिदिन आ रविदिन दिल्लीमे अलग-अलग जगह पर जदयूक रोड शोमे शामिल हेताह। नीतीश कुमार शनिवार बुराड़ी रविदिन बदरपुरमे रोड शो जनसभा करताह।

    ज्ञात हो कि जदयू दिल्ली नगर निगमकें 272’मे 113 सीट पर चुनाव लड़ि रहल अछि। एमसीडी चुनावमे जीत हासिल करबाक लेल जतय भाजपा, कांग्रेस आ आम आदमी पार्टी अपन पूरा ताकत लगा रहल अछि, ओतहि जदयूक मैदानमे एला सँ पूर्वांचलक मतदाताक बंटवारा तय मानल जा रहल अछि।