मिथिलाक अलावे अहि रेलवे स्टेशन पर होइत अछि मैथिलीमे ट्रेनक उद्घोषणा

    0
    286

    दिल्ली-मिथिला मिररः जखन अपने दरभंगा-मधुबनी रेलवे स्टेशन पर होइत हैव त ओहिठाम अपनेक कानमे मैथिलीमे उद्घोषणा दैनिक रूपे भेटैत हैत मुदा जखन इ उद्घोषणा मिथिला सं बहार कोनो महानगरमे होइत हो तखन सोचू जे ओहि सं अपने लोकनिक मोनमे कतेक प्रसन्नता होइत हैत। मिथिला मिरर दू देशक राजधानी दिल्लीक आनंद विहार टर्मिनल पर जौं अपने ट्रेन पकड़ै लेल जाइत हैव त अपनेकें मैथिली भाषामे उद्घोषणा सहज रूपसं सुनवामे भेटैत हैत।
    हालांकि उत्तर रेलवे एकरा प्रयोगक तौर पर शुरू केने छल मुदा धीरे-धीरे इ रेलवेक दैनिक रूटीन जेना बनि गेल। मिथिला मिरर सं बातचीत करैत उत्तर रेलवेक मुख्य जनसंपर्क अधिकारी नीरज शर्मा कहला जे, चूकि बिहार आ पूर्वांचलक बेसीक ट्रेनक परिचालन आब आनंद विहार सं कैल जाइत अछि ताहि लेल इ प्रयोग छइठक समय यात्रीक सुविधाक लेल कैल गेल छल। छइठक समय दुनू भाषा मैथिली एवं भोजपुरीमे उद्घोषणा शुरू कैल गेल छलैक, जेकर मुख्य उद्देश्य छल जे आम जे यात्री होइथ हुनका सहज रूपसं ट्रेनक हर विवरण भेट सकैन।
    रेलवेक इ प्रयोग सफल रहल आ यात्री सेहो अहि सेवा सं लाभान्वित भेलाह ओहिकें बाद उत्तर रेलवे अहि बात पर पहुंचल जे आब अहि प्रयोगकें दीर्घकाल क कें लेल चालू राखल जाए। एखन आनंद विहार टर्मिनल पर इ सेवा चालू अछि भविष्यमे एकरा नई दिल्ली और पुरानी दिल्ली रेलवे स्टेशन पर सेहो शुरू करवा पर विचार कैल जा सकैत अछि। निश्चित रूपहिं इ एकटा सुखद अनुभूतिक क्षण अछि जखन मिथिला सं निकलि देशक राजधानी दिल्लीमे सेहो मिथिलाक अनुभूति भेटैत अछि।