23 हजार रुपैयाक लेल अपनहि अपहरण केलक छात्र

    0
    284

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: मुसरीघरारी थाना क्षेत्रक फतेहपुर निवासी एकटा छात्र 23 हजार रुपैयाक खातिर अप्पन अपहरणक साजिश रचि लेलक। पिता द्वारा मुसरीघरारी थानाध्यक्ष राजा के अहि बातक सूचना देल गेल। सूचना के बाद पुलिस छात्र के सोनवर्षा स्थित एकटा लॉज स बरामद कय लेलक अछि।

    घटनाक जानकारी दैत सदर डीएसपी तनवीर अहमद कहलनि जे, 5 फरवरी कय मुसरीघरारीक फतेहपुर निवासी रामविलास सिंह’क पुत्र नवीन कुमार जे 12’म वर्गक छात्र अछि। पिता 23 हजार रुपैया केसीसी मे जमा करबाक लेल देने छल। जे, ओ खर्च कय देलक। पिता द्वारा बेर-बेर रुपैयाक मांग करबा पर 5 फरवरी कय नवीन पिता स 800 रुपैया मंगलक आ ओ रुपैया लय घर स ई कहि कय चलि गेल जे, कोचिंग के फ़ीस जमा करबाक लेल जाइ छी। ओतय सं ओ सोनवर्षा स्थित अप्पन दोस्त रोशन के संग एकटा लॉज स पिता के मोबाइल पर एकटा एसएमएस केलक जे, अहाँक पुत्रक अपहरण कय लेल गेल अछि आ पुत्र चाही त पैसा देबय पड़त।

    अहि बैठक जानकारी पुलिस नहि देबाक चेतावनी देल गेल। अहि बीच नवीनक पिता मुसरीघरारी थाना सं संपर्क केलक। पुलिस तत्क्षण जांच शुरू करैत मोबाइल सर्विलांसक आधार पर नवीन के मंगलदिन सोनवर्षा स्थित लॉज स बरामद कय लेलक। डीएसपीक समक्ष छात्र खुद साजिश रचबाक बात स्वीकारलक अछि।