कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयकें कुलसचिव हटाओल गेलाह

    0
    462

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालयकें कुलपति’क अनुरोध पर महामहिम कुलाधिपति मंगलदिन कुलसचिव डॉ सुरेश्वर झाकें पद सं मुक्त कय देलनि एवं साहित्य विभागाध्यक्ष डॉ शक्तिनाथ झाकें कुलसचिव बनाओल गेल।

    सूत्रक अनुसार डॉ सुरेश्वर झा विश्वविद्यालयकें काजमे बाधा पहुंचा रहल छलाह। कुलपतिके आदेशक सेहो अहवेलना कय रहल छलाह। जाहि कारण कुलपति डॉ विद्याधर मिश्र हुनका हटेबाक लेल कुलाधिपति सं निवेदन केने छलाह।