2 फरवरी कऽ दिल्लीमे मनाओल जाएत पहिल ‘ललित दिवस’

    0
    358

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिलाक सर्वमान्य आ सब सं कद्दावर नेता स्व. ललित नारायण मिश्रक जयंतीक अवसर पर मिथिलालोक फाउंडेशन आ डाॅ. बीरबल झा आगामी 2 फरवरी अर्थात हुनकर जन्म दिवस पर दिल्लीमे एकटा कार्यक्रम कऽ ललित दिवस मनेवाक निर्णय लेलाह अछि। राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीमे शायद इ पहिल बेर हैत जे सार्वजनिक रूपे स्व. ललित नारायणक मिश्रक जंयती पर ‘‘ललित दिवस’’ मनाओल जाएत।
    भारतक मानचित्र पर ललित नारायण मिश्रक नाम एकटा एहन सशक्त नेताक रूपमे उभरि कऽ सामने आएल छल जेकरा सं तत्कालीन प्रधानमंत्री स्व. इंदिरा गांधी तक अपना आपकें असहजता महसूस करए लागल छलीह। 1974-75मे देशमे लागल आपातकाल आ कांग्रेसकें गिरैत छवि सं निकालवाक संग-संग कांग्रेसक लेल चुनावी फंड जुटा ललित नारायण मिश्र अपन दमदार छविकें परिचय दऽ देने छलाह आ कथित रूपसं ओहए हुनकर हत्याक कारणमे सं एक मानल जाइत अछि।
    राजनीतिक मानचित्र पर ललित नारायण मिश्रकें सबसं पैघ रेल मंत्रीक संग-संग एकटा एहन नेताक रूपमे याद कैल जाइत छन्हि जे अपन दूरदृष्टि सं राजनीतिमे अपन एकटा नव अध्याय लिखवामे सफल रहला। मिथिला सहित बिहारमे रेलवे लाइनकें गली-गली बिछेवाक कार्य होइ अथावा मिथिला पेंटिंगकें वैश्विक स्तर पर पहिचान दियेनाइ होइ, अहिमे ललित बाबूक योगदान अतुल्यनीय छल। देशक पूर्व प्रधानमंत्री डाॅ. मनमोहन सिंहकें तखन दुनिया चिन्हलक जखन हुनका पहिल बेर ललित बाबू अपन ओएसडी बना दुनियाक सोझा अनलनि।
    मिथिला संस्कृति आ सर्वांगिण विकासक लेल सतत् अग्रसरित संस्था मिथिलालोक फाउंडेशनकें चेयरमैन डाॅ. बीरबल झा मिथिला मिरर सं बातचीत करैत कहलनि जे देशक बहुतो नेताक जयंतीकें सरकार मनावैत अछि मुदा मिथिलाक पहिल सर्वमान्य नेताक उपेक्षा कतौ ने कतौ हमरा मोनमे खटकैत रहल आ अहि लेल हमरा मोनमे इ बात आएल जे कियैक ने ललित बाबूक जन्म दिवसकें ललित दिवसकें रूपमे मनाओल जाए। अपनकें बता दी जे मिथिलालोक फाउंडेशन मिथिलाक पागकें नव स्वरूप दए बेस चर्चामे आएल छल।