शिलान्यास सं आगू नहि बढ़ल आकाशवाणी मधुबनी’क काज

    0
    270
    मधुबनी, मिथिला मिरर: 12 साल पहिने तत्कालीन सूचना एवं प्रसारण मंत्री रविशंकर प्रसाद द्वारा मधुबनी मुख्यालय स सटल रांटी मे एफएम आकाशवाणी स्टेशनक शिलान्यास कायल गेल छल। जाहि के बाद सब दिस मिथिला-मैथिली के विकासक बात होबय लागल छल। मुदा धीरे धीरे ई सब अतीत बनि गेल। आलम ई अछि जे, जाहि जगह पर आकाशवाणी केंद्र खोलबाक लेल शिलापट्ट लगाओल गेल छल, ओहि शिलापट्ट पर लिखल शब्द तक मिटा गेल अछि।
    जमीन परती पड़ल अछि। परंतु एक बेर फेर अहि स्टेशनक निर्माणक लेल आवाज उठय लागल अछि। आवाज उठाबय वला मे उम्मीद अछि जे, केंद्र मे फेर भाजपा सरकार अछि त अहि केंद्र दिस सरकारक नजरि उठत आ केंद्रक निर्माण कार्य शुरू होयत।
    रांटी स्थित आकाशवाणी केंद्रक निर्माणक मांग के लय जिला, प्रमंडल स लय कय केंद्र तक मांग व आंदोलन करबाक रूप रेखा तैयार कायल जा रहल अछि। अहि केंद्रक निर्माणक बात विगत दिन साहित्यकारक एकटा गोष्ठी मे सेहो उठल छल।
    साहित्यकार अजीत आजाद कहै छथि जे, अहि केंद्रक निर्माण स रतय के समस्या, सभ्यता, संस्कृति आ धरोहरक देश के दोगे-दोगे तक पहुंचत। ओ लोक सब सं अपील करैत कहलनि जे, ई केंद्र मिथिला मैथिली के बढ़ावा देबाक बहुत पैघ सशक्त माध्यम व धरोहर होयत। अहि के निर्माणक लेल सब के आगू एबाक  जरूरत अछि।