वाहन चोरी करय बला गिरोहक चारि टा अपराधी गिरफ्तार

    0
    285

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा: दरभंगा जिला पुलिस आय वाहन चोरी करय बला गिरोहक पांच टा सदस्य के गिरफ्तार केलक अछि। अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी दिलनवाज अहमद कहलनि जे, जिला के सदर थानाक कटरहिया मुहल्ला स वाहन चोरी करय बला गिरोहक सदस्य नीरज कुमार महतो के गिरफ्तार कायल गेल।

    नीरज के निशानदेही पर जिला मे अलग-अलग ठिकाना पर छापेमारी के दौरान सूरज कुमार सहनी आ मुरारी कुमार के गिरफ्तार कायल गेल। ओ कहलनि जे, सुपौल के निर्मली थाना के वार्ड संख्या 12 स चंदन मंडल आ मधुबनी जिला के लौकहा थाना क्षेत्रक धर्मपुर खाप गाम स राजेश कुमार यादव के गिरफ्तार कायल गेल अछि।