अधिक बारिश के कारने कुशेश्वर स्थान जलमग्न

    0
    465

    दरभंगा मिथिला मिरर-निशान्त झा: लगातार भय रहल बारिश सं कुशेश्वर स्थान जलमग्न भय गेल अछि। जल निकासी के व्यवस्था नहि रहला के कारण समस्या उत्पन्न भय रहल अछि। जल जमाव के कारने पिछला तीन महिना सं पीएचसी बंद पड़ल अछि।

    जल निकासी के लेल बनाओल गेल नालीक समय सं सफाई नहि भेलाक कारने सड़क धरि जल भराव अछि। नाली मे जमल गाइद आ कचरा के बदबू लोकक परेशानीक कारण सेहो बनल अछि। जाहि सं महामारी के समस्या उत्पन्न हेबाक डर लोक मे व्याप्त अछि।