दरभंगा ट्रक हादसा: मृतकक परिजन के देल गेल चारि-चारि लाखक मुआवजाक

    0
    614
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: शुक्रदिन समस्तीपुर-लहेरियासराय मुख्य पथ पर एकटा अनियंत्रित ट्रक के चाय दोकान मे घुसि जेबाक कारने तीन गोटेक भय गेल छल, जाहि सं आक्रोशित लोक सड़क जाम कय देने छल। ज्ञात हो कि सदर एसडीओ द्वारा आपदा प्रबंधन सं चारि-चारि लाखक मुआवजाक घोषणा के बाद जाम समाप्त कायल गेल छल।
    अहि क्रम मे शनिदिन बहादुपुर के विधायक भोला यादव के हाथ सं आपदा के तहत मृत मो. मौलाना जुबेर, मो. कलाम, हरीश चन्द्र मिश्र के परिवार के चारि-चारि लाखक चेक वितरण कायल गेल। मौका पर मौजूद विधायक अहि घटना के हृदय विदारक बताबैत मृतकक परिजन के सांत्वना देलनि।