सड़क हादसामे चारि गोट युवकक मौत

    0
    466

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: दू टा अलग-अलग स्थान पर भेल सड़क दुर्घटनामे चारि गोटेकेँ मौत भए गेल। दुनू दुर्घटना रविदिन देर रातिक अछि। उजियारपुर थाना क्षेत्रक सातनपुर गाम स्थित पीर स्थानकें समीप एनएच-28 पर भेल दुर्घटनामे एकटा मोटरसाइकिल सड़क पर ठाढ़ ट्रकमे ठोकर मारि देलक। जाहिमे मोटरसाइकिल पर सवार तीन गोटे गंभीर रूप सं जख्मी भए गेल। बादमे तीनूकें सदर अस्पतालमे मृत घोषित कए देल गेल।

    एकटा अन्य दुर्घटनामे दलसिहसराय-रोसड़ा पथ पर मालपुर गामक समीप एकटा मोटरसाइकिलकें धक्का सं बरियाती जा रहल युवकक मौत भए गेल। सातनपुरमे भेल दुर्घटनाकें मृतकमे मुफस्सिल थाना क्षेत्रक महेश कुमार राय, सरायरंजनकें विकास कुमार तथा मुक्तापुर जूट मिलक समीपकें दीपक कुमार सिंह शामिल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, तीनू एकटा मोटरसाइकिल पर सवार भए दलसिहसरायकें एकटा बियाह समारोह सं समस्तीपुर आबि रहल छल। घटनाक बाद उजियारपुर थानाक गश्ती दल मौका पर पहुंचकए तीनूकें इलाजक लेल सदर अपस्ताल पठा देलक, जतए तीनूकें मृत घोषित कए देल गेल।