जंतर-मंतर पर बेनामी संपत्तिक खिलाफ पप्पू यादव’क प्रदर्शन

    0
    274

    दिल्ली, मिथिला मिरर: जन अधिकार पार्टी’क राष्ट्रीय संरक्षक आ मधेपुरा सं सांसद पप्पू यादव अप्पन कार्यकर्ता आ समर्थकक संग बुधदिन दिल्ली के जंतर मंतर पर बेनामी संपत्ति के खिलाफ धरना प्रदर्शन केलनि। अहि दौरान ओ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ दिल्ली के मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल पर हमला केलनि।

    जानकार अनुसार आबय वला समय मे देशक राजनीति मे बेनामी संपत्तिक मुद्दा सक्रीय रहत। बीतल बजट सत्रक दौरान प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी राष्ट्रपतिक अभिभाषण पर धन्यवाद भाषण दैत लोकसभा मे बेनामी संपत्ति के लय सरकारक पक्ष रखने छलाह।

    दिल्ली के जंतर मंतर स सांसद पप्पू यादव बेनामी संपत्तिक खिलाफ आर-पारक लड़ाई लड़बाक ऐलान केलनि। ओ कहलनि जे, अझी दिन देशक कोनो राज्य मे हमार पार्टीक सरकार बनत, अहि पूंजीपतिक संपत्ति जब्त कय गरीब मे बांटि देब।

    ओ कहलनि जे, हमर सरकार बनलाक बाद समान शिक्षा प्रणाली लागू कायल जायत, जाहि सं ककरो मुफ्त स्वास्थ्य सुविधा उपलब्ध कराओल जा सकत।