काश! कहियो विदा नै होइतथि अटलजी

0
308

दिल्ली, मिथिला मिरर : राजधानी दिल्लीक एम्समे भर्ती पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जीक हालत पछिला 24 घंटासँ बड्ड बेसी नाजुक बनल छलनि। मुदा दुपहरिया बाद  5:05 बजे ओ दुनियाँ छोड़ि चलि गेलाह। एहनमे हुनक परिवारसँ जुड़ल लोक सभ ग्वालियर आ आगरासँ दिल्ली आबि गेल छलथि। बतादी जे एम्सकेँ आस-पास बुधदिन 15अगस्तक साँझेसँ हलचल बढि गेल छल। अटलजीक बारेमे हुनक भतीजी कांति मिश्रा मीडियासँ बात करैत भावुक भ’ गेलीह, अटलजीक जिक्र करैत कहलीह जे, ‘मैं भगवान से प्रार्थना कर रही हूं कि केवल एक बार और उन्हें भाषण देते हुए देख पाऊं। हमारे परिवार के लोग कभी अपने मन-मस्तिष्क से उनकी इस छवि को मिटा नहीं सके हैं।” मुदा भगवानक विधिना आगू ककरो वश नै चलैत छैक। 11 जूनकेँ एम्समे भर्ती कराओल गेल रहनि। दुर्भाग्यवश अटलजीक हालत आओर बिगड़ि  गेलनि आ हुनका जीवन रक्षक प्रणाली पर राखय पड़लनि। तइयो हुनका बचाओल नहि जा सकल। प्रधानमंत्री मोदी सँग अनेको केंद्रीय मंत्री, उपराष्ट्रपति वेंकैया नायडू, बीजेपी नेता लालकृष्ण आडवाणी, बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह आ अनेको राजनीतिक दलक नेता सभ एम्स जा हुनक हाल बुझने छलाह।  आई देश एकटा प्रखर राजनेता, वक्ता, संगीतकार, कवि, साहित्यकार आ नै कहि जे आओर कतेक विधा जनैत छलाह अटलजी जिनका देश आइ स्मरण क रहल अछि।