दरभंगा मे ‘महिला आईटीआई’क उद्घाटन केलनि मुख्यमंत्री

    0
    293
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बृहस्पति दिन अप्पन निश्चय यात्राक दौरान दरभंगा के बहादुरपुर प्रखंड के रामनगर स्थित नवनिर्मित महिला आद्योगिक प्रशिक्षण केंद्रक उद्घाटन केलनि।
    अहि मौक़ा पर बहादुरपुर के राजद विधायक भोला यादव, बिहार के वित्तमंत्री अब्दुलबारी सिद्दीकी एवं जिला परिषद अध्यक्ष गीता देवी सहित बहुतो गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह। मुख्यमंत्री 2016-18 के बैच मे प्रशिक्षण प्राप्त कय रहल छात्रा स भेंट कय शिक्षा व्यवस्थाक जायजा लेलनि। अहि सं पूर्व मुख्यमंत्री बहेड़ी प्रखंड के निर्मल पंचायत हरहच्चाक सेहो जायजा लेलनि।