मुख्यमंत्रीक सात निश्चय के लागू करत एलएनएमयू, सब कॉलेज होयत डिजिटल

    0
    341
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय अंतर्गत सब महाविद्यालय’क डिजिटलाइजेशन कायल जायत। ई निर्णय प्रधानाचार्यक बैसक मे लेल गेल अछि। बैसक के संबोधित करैत वाणिज्य संकायाध्यक्ष डा0 हरे कृष्णा सिंह कहलनि जे, राज्य सरकारक निर्देशक अनुपालन हमर जिम्मेवारी अछि। राज्य सरकार अप्पन सात निश्चय के तहत ‘आर्थिक हल युवाओ को बल’ के तहत छात्र के क्रेडिट कार्ड देबाक योजना बनौलक अछि। जकर लाभ छात्र के भेटत, जाहि मे हमर सबहक भूमिका बनैत अछि।
    ओ महाविद्यालयक प्रधानाचार्यक आह्वान करैत कहलनि जे, अप्पन-अप्पन महाविद्यालय मे चयन समितिक माध्यम स 19 अप्रैल 2016 स पूर्व नियुक्त शिक्षकक अनुशंसा विश्वविद्यालय के पठा दी।ताकि ओहि पर अग्रेतर कार्यवाही कायल जा सकय।
    अहि अवसर पर कुलसचिव डा0 अजित कुमार सिंह कहलनि जे, सरकार महाविद्यालयक संदर्भ मे बहुतो निर्देश देलक अछि। जाहि के तहत महाविद्यालय अप्पन वेबसाईटक निर्माण कय लय। ताकि महाविद्यालयक समुच्चा जानकारी छात्र के भेट सकय। ओ कहलनि जे, समय पर उपयोगिता प्रमाण-पत्र जमा नहि करेला पर वेतनक भुगतान रोकि देल जायत।