मधुबनी मे मोटरसाइकिल सवार के गोली मारिकय हत्या

    0
    491

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार सरकारक लाख दावा के बावजूद अपराधी के बुलंद हौसला के समक्ष आम जन बेबस नजरि आबि रहल अछि। मधुबनी के मधवापुर प्रखंडक सहरघाट इलाका के बड़ा रोड मे पुरानी सिनेमा हॉल के समीप दिनदहाड़े एकटा मोटरसाइकिल सवार के के गोली मारि कय हत्या कय देल गेल।

    जाहि शख्स के हत्या कायल गेल अछि एखन धरि ओकर पहिचान नहि कायल जा सकल अछि। सूत्रक अनुसार वारदात के अंजाम देलाक बाद बदमाश फरार भय गेल। मौका पर पहुंचल पुलिस मामलाक जांच कय रहल अछि। जहन कि घटना के बाद इलाका मेे खौफक माहौल बनल अछि।