नहि रहला साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित वरिष्ठ साहित्यकार सुरेश्वर झा

    0
    289

    नहि रहलाह मैथिली साहित्यक वरीष्ठ साहित्यकार डा सुरेश्वर झा. १९-३-१६ शनिक राति मे १०.१५ बजे दरभंगा स्थित अपन आवास पर अंतिम सांस लेलनि. डा झा के मैथिली मे लिखल हुनकर पुस्तक संघर्ष आ सेहन्ता के लेल वर्ष २०१३ के साहित्य अकादेमी पुरस्कार भेटल छलनि. ओ पाँच वर्ष धरि साहित्य अकादेमी मे मैथिलीक प्रतिनिधि रहलाह. ३१अगस्त १९२८ मे दरभंगा जिलाक तुमौल गाम मे जन्म लेनिहार डा झा राजनीति शास्त्रक प्राध्यापक रहैत मैथिलक सेवा करैत रहलाह. 

    हुनका निधन सँ मैथिली साहित्य मे शून्यताक आभास होमय लागल अछि. खास क, उचित वक्ताक अभाव भ’ गेल. हिनक अंतिम संस्कार आइ सिमरियाघाट मे गंगा किनार मे हेतनि. डा झाक पार्थिव शरीरक दर्शनार्थ भारी संख्या मे लोक हुनक आवास पर पहुँचि रहल छथि. मिथिला मिरर टीम कें दिस सं सुरेश्वर झा कें कोटि सह श्रद्धांजलि संगहि शोक संतप्त परिवार कें प्रति संवेदना.

    समाद आ फोटोः मैथिलीक वरिष्ठ पत्रकार आ अभियानी मणिकांत झा केर फेसबुक वाॅल सं।