एकटा अस्पतालक मरीज ऑफर, ‘मरीज लाऊ विदेश भ्रमण पर जाऊ’

    0
    315

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: सुनबा मे उटपटांग लागत मुदा अछि सच। सोशल साइट पर देल गेल एकटा विज्ञापन के अनुसार एकटा अस्पतालक प्रशासन गजब के ऑफर देलक अछि। जाहि मे कहल गेल अछि जे, ‘मरीज लाऊ आ विदेश भ्रमण पर जाऊ।’

    एकटा फोटो के संग लिखल अछि जे, हाजीपुर जौहरी बाजार स्थित एकटा अस्पताल मे मरीज के आनय वला के लेल सुपर विंटर धमाका ऑफर अछि। पांच मरीज आनय वला के दू राति आ तीन दिनक लेल अस्पतालक खर्च पर देवघर, ताराफीट, रजरप्पा आ रांची घुमाओल जायत।

    विज्ञापन मे लिखल अछि जे, मरीजक संख्या बढ़ौला पर देश के तमाम पर्यटक स्थल गोवा, पणजी, जम्मू, वैष्णो देवी, शिर्डी, लोखंडवाला, खंडाला, वाराणसी, विन्ध्याचल घुमबाक मौक़ा भेटत। सोशल मीडिया पर ई पोस्ट तेजी सं वायरल भय रहल अछि।

    अस्पताल प्रसाशन के अनुसार, कियो साजिश के तहत अहि तरहक घटिया पोस्ट सोशल मीडिया पर पोस्ट केलक अछि। सूत्रक अनुसार अस्पताल अहि पोस्ट के खिलाफ शिकायत दर्ज करबौलक अछि।