कबड्डी मे लगातार तेसर बेर विश्व विजेता बनल भारत

    0
    379

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: द एरेना बाय ट्रांसस्टेरिडया मे खेलल गेल कबड्डी विश्व कप के फाइनल मे शनिदिन मेजबान भारत अप्पन मजबूत प्रतिद्वंद्वी ईरान के नौ अंक के अंतर सं हरा खिताब पर कब्जा जमौलक। मौजूदा चैम्पियन भारत ईरान के 38-29 सं मात दैत लगातार तेसर बेर खिताब अप्पन नाम केलक।

    भारत के जीतक हीरो दिग्गज रेडर अजय ठाकुर रहलाह। अजय पहिल हाफ तक पाछु चलि रहल भारत के लगातार सफल रेड दैत नहि केवल बराबरी दियौलनि बल्कि अहम समय पर भारत के मजबूत केलनि। ओ कुल 12 अंक हासिल केलनि।

    दोसर हाफ मे भारतीय टीम अप्पन रणनीति मे बदलाव केलक। अहि हाफ मे मिराज एक बेर फेर अप्पन टीमक लेल खाता खोललनि। ईरान 19-14 के बढ़त लय लेने छल। मुदा अजय ठाकुर अहि हाफ मे लगातर सफल रेड डाइट भारत के 20-20 के की बराबरी पर आनि देलनि। जकरा बाद भारत ईरान के 38-29 के अंतर सं हरा विश्वकप पर कब्ज़ा जमा लेलक।