सुशील मोदी ओल खाई छथि, ताहि दुआरे मुंह मे खुजली होइ छन्हि : लालू यादव

    0
    257

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे विवाहक सियासत पर राजनीति गरम भय रहल अछि। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद कहलनि जे, सुशील मोदी के मुंह मे खुजली भय रहल छन्हि ताहि दुआरे ओ अनाप-शनाप बाजी रहल छथि। ओ कहलनि जे, सुशील मोदी ‘ओल’ खाई छथि ताहि दुआरे ई खुजली होइ छन्हि।

    अहि सं पहिने समाजवादी पार्टी मे कलह के बहन्ने सुशील मोदी लालू पर हमला केने छलाह। मोदी कहने छलाह जे, लालू राजद मे सेहो झगड़ा के बीजारोपण कय देलनि। मीसा के रहैत छोट बेटा के उप मुख्यमंत्री बना देलनि। ओ कहलनि जे, एखन लालू के आवास मे शीतयुद्ध चलि रहल अछि आ जल्दिये विस्फोट होयत।

    ज्ञात हो कि स्वास्थ्य मंत्री तेज प्रताप यादव सेहो सुशील मोदी पर हमला करैत मंगलदिन विवादित बयान देने छलाह। ओ कहने छलाह जे, सुशील मोदी दोसर के घर मे तकबाक बजाय पहिने अप्पन नपुसंक बेटा के विवाह कराबथि।