महागठबंधन सरकार जारी केलक 140 पन्नाक पहिल रिपोर्ट कार्ड

    0
    240

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक महागठबंधन सरकार अप्पन एक सालक रिपोर्ट कार्ड जारी कय देलक अछि। रविदिन इंदौर-पटना एक्सप्रेस हादसा के बाद रिपोर्ट कार्ड जारी करबाक समारोह के बिहार सरकार टालि देने छल। मुदा सोमदिन नीतीश सरकार बगैर कोनो समारोह के अप्पन सरकारक एक सालक रिपोर्ट कार्ड सूचना एवं जनसंपर्क विभागक वेबसाइट पर अपलोड केलनि।

    महागठबंधन सरकारक रिपोर्ट कार्ड मे मुख्यमंत्री नीतीशक 7 निश्चय आ शराबबंदी के प्राथमिकता देल गेल अछि। सरकार अहि महीनाक 20 तारीख क अप्पन एक साल पूरा केलक अछि। सरकारक दिस सं रिपोर्ट कार्ड जारी करबाक सं पहिने विपक्ष रिपोर्ट कार्ड जारी कय सरकार के घेरबाक प्रयास केने छल। लगभग 150 पन्नाक अहि रिपोर्ट कार्ड मे विभागक हिसाब स कार्य आ उपलब्धि के देखाओल गेल अछि।